एगो दिन चीकू खरगोश अप्पन दोस्त मीकू बानर के संगे हाट जा रहल रइ। रस्ता में दुनू बस, मोटरगाड़ी आ दोकान देखलक। सड़क पार करे के समय चीकू रुक गेल। मीकू कहलक, “चलऽ, जल्दी पार करी!” चीकू बोललक, “नय, लाल बत्ती पर रुकऽ, पियर पर तैयार रहऽ आ हरियर पर चलऽ।” दुनू दहिना-बामा देखलक आ सड़क पार कइलक। मीकू खुश होके कहलक, “वाह! सड़क के नियम बड़ जरूरी हइ।”
रचनाकार – ज्योत्सना वर्द्धन
1 Likes